खगड़िया। 12 जनवरी। कोसीक भीषण कटावक दंश झेल रहल फुलवरिया गामक लोग अप्पन कैको मांग ल'केँ समाहरणालय लग धरना देलनि। एहि दौरान सरकारक खिलाफ खूब नाराबाजी भेल। फुलवरिया गामक लोगक समर्थन जाप आओर युवा शक्ति जेहन पार्टी क' रहल अछि।
फुलवरिया गामक सैकड़ों लोग समाहरणालय पर प्रदर्शन करे पहुँचल। ग्रामीण सभक संग जाप आओर युवा शक्ति केर कार्यकर्ता सेहो पहुंचला। एहि दौरान कोसी पीड़ित सभ सरकार आओर प्रशासन पर एखन धरी काज शुरू नहि करबाक आरोप लगौलनि आओर जल्द सँ जल्द काज शूरू करबाक मांग केलनि।
अपने क' बता दी कि फुलवरिया गामक लोग एखन धरी कोसीक भीषण कटाव झेल रहल अछि। विभाग द्वारा कोसी कटाव सँ गामकेँ बचेबाक लेल एखन धरी काज शुरू नहि होयबाक कारण एहि इलाकाक लोग सभक तामस फूटी पड़ल अछि आओर आब सरकारक खिलाफ आंदोलन पर उतारू भ' गेल अछि।