अररिया बाढ़ि : दर्दनाक रुपे भेल छल माँ-बेटिक मौत, 80 हजार घूस देला पर भेटल मुआवजा

अररिया। 12 जनवरी। मिथिलांचल मे कहबि अछि 'बाढ़िक तबाही सरकारी कर्मि आओर सलाल सभक लेल कोनो उत्सव सँ कम नहि होयत अछि।' अररिया बाढ़ि मे बहला सँ माँ - बेटिक मौतक घटना केँ 4 मास बादो पीड़ित परिवार मुआवजा लेल दर-दरक ठोकर खा रहल अछि। सभसँ बड़का गप ई अछि कि एक मृतक केर परिजन 4 लाख टाकाक मुआवजा  केर एवज मे अररिया सीओ अशोक कुमार सिंह पर घुस लेबाक गंभीर आरोप लगेना अछि। 

मृतक जहां आरा केँ परिजन मेहरून निशां कहलनि कि मुआवजाक चक्कर मे अररिया सीओ कार्यालय केँ आजाद क' 20 हजार टाका आओर  अररिया सीओ क' 60 हजार टाका भुगतान करबाक बाद मुआवजा नसीब भेल। हालांकि एहि बाबत जखन अररिया सीओ अशोक कुमार सिंह सँ बात करबाक प्रयास कायल गेल तेँ हुंकार मोबाइल लगातार स्विच ऑफ आबैत छल। एहि संबंध मे अररिया जिला आपदा पदाधिकारी शंभू कुमार कहलनि कि एहि तरहक कोनो शिकायत हुनका नहि भेटल अछि। शिकायत भेटला पर कार्रवाई जरूर कायल जायत। 

दरअसल, अररिया प्रखंडक बेलवा पंचायतक जहां आरा आओर शाइक रेज़ा केर मौत ओहि समय भेल छल जखन बाढ़ि सँ बचबाक लेल ओ दुनू अप्पन शहर आबे चाहैत छली। एहि दौरान पुल आओर पुलसँ जुड़ल सड़क बाढ़ि मे बही गेल जहिक कारण सँ जहां आरा आओर हुनकर बच्चा केँ मौत भ' गेल छल। एहि हादसा केँ वीडियो राष्ट्रीय स्तर पर वायरल भेल छल। ई घटना बाढिक दौरान 13 अगस्तक अछि। आब पीड़ितक परिजन सभकेँ एक मौतक मुआवजा तेँ भेटल मुदा, ऐहिक लेल सेहो दाम चुकबे पड़ल। ओतहि बच्चा केँ मौतक बात सँ  प्रशासन लगातार इनकार क' रहल अछि।


मृतक केँ पिता मोहम्मद नसीम कहलनि कि खुदक गप ई जे बच्चा केँ मौतक सर्टिफिकेट बनेबाक अछि मुदा बाबू सभ मानबाक लेल तैयार नहि छथि। ओतहि एक स्थानीय नाम नहि लिखबाक शर्त पर कहलनि कि हालात एहेन अछि कि हर सरकारी टेबुल पर प्रसाद चढेबाक बादे कुनु काज होयत अछि। अपने केँ बता दी कि बाढ़ि सँ अररिया मे तबाही मचल छल। अगबे अररिया मे बाढ़ि सँ 100 से  बेसी लोगक मौत भेल छल। कैको एखनो लापता अछि। वायरल भेल वीडियो मे साफ अछि कि माँ - बेटी संगे बाढ़ि मे बहल छल मुदा प्रशासन मानबाक लेल तैयार नहि अछि।