ऐहिक उद्देश्य अछि कि समाज मे एक वातावरण बने आओर लोग जागरूक हुवे। जतेक भारी संख्या मे लोग एहिमे शामिल होयत ओतेक नीक परिणाम अच्छा भेटत। एहि कारणवश बेसी सँ संख्या मे लोग सभकेँ एहि मानव श्रृंखला मे शामिल करबाक तैयारी अछि। एहि कड़ी मे विनोद सिंह गुंजियाल आय शनि दिन पदयात्रा करी शहरवासी सहित दसो प्रखंडक लोग सभकेँ शामिल होयबाक लेल न्योता देलनि।
सहरसा स्थित मुख्य बाजार मे जिलाधिकारी सहित सभ आलाधिकारी, बड़का संख्या मे विभिन्न कार्यालय सभककर्मचारी, शिक्षक -शिक्षिका सभक टोली आमलोग सभकेँ न्योता देबे पदयात्रा पर निकलल। पदयात्रा केँ एक मात्र उद्देश्य अछि कि बिहारक विकास व बिहारक स्मिता लेल मानव श्रृंखला मेँ बेसी सँ बेसी संख्या मे लोग शामिल भ' ऐहिकेँ ऐतिहासिक बनबे।
एहि पैदल यात्रा द्वारा मानव श्रृंखला बना नहि अगबे विश्व रिकॉर्ड बनायब बल्कि बाल बिआह एवं दहेज प्रथा जेहन कुरीति केर विरुद्ध एक मजबूत संदेश द' सामजिक परिवर्तन केँ आंदोलनक रूप देब अछि।