बिहारक सभ सरकारी अस्पताल केँ बंद क' देबाक चाही, नहिये अस्पताल मे दवा अछि नहिये डॉक्टर : पप्पू यादव

मधेपुरा। 29 जनवरी। इंजीनियरिंग केँ छात्रक मौतक मामला मे पप्पू यादव इंजीनियरिंग कॉलेज परिसर पहुंचला। जता छात्र सभसँ भेट केलाक बाद दोषी व लापरवाह चिकित्सक पर अविलंब कार्रवाई करबाक बात कहलनि। सांसद पप्पू यादव कहलनि कि अगर बीमार छात्र सत्यम केर  इलाज सही तरीका सँ कायल जेतीये तँ सत्यम केँ जान बची सकैत छल। सत्यम केर इलाज मे डॉक्टर लापरवाही नहि करतीये तँ सत्यम आय जिंदा रहतिये।

पप्पू यादव कहलनि कि जखन चिकित्सक कहलनि कि खून केर कमी अछि तेँ फेर सत्यम केँ भर्ती करी खून किएक नहि चढ़ाओल गेल। एहिसँ  साफ जाहिर अछि कि चिकित्सक लापरवाही छल, जाहिक लेल बिना देर केना एहेन चिकित्सक पर तुरंत कार्रवाई होयबाक चाही। पप्पू यादव आगा कहलनि कि जन अधिकार पार्टी (जाप) दिस सँ पीड़ित परिजन केँ हुनका  घर मधुबनी जा केँ 50 हजार टाकाक आर्थिक सहायता देल जायत। हम सरकार सँ मांग करैत छी कि मृतक सत्यम के परिजन केँ 20 लाख टाकाक मुआवजा देल जाय। 

सांसद पप्पू यादव सरकार आओर प्रशासन सँ इयो मांग केलनि कि इंजीनियरिंग केँ छात्र सभक लेल सरकारी हॉस्टल केर व्यवस्था अविलंब कायल जाय, किएक जे छात्र सभकेँ रहबाक लेल एम्हर - ओम्हर भटके पड़ैत अछि। अपने क' बता दी कि एक दिन पहिने शहर केँ बीपी मंडल इंजीनियरिंग कॉलेज मे पढ़ाई बला एक छात्रक अस्पताल मे मौत भ' गेल। कहल जायत अछि कि छत्रक मौत डॉक्टर सभक लापरवाहीक कारण भेल अछि।  

और नया पुराने