दरभंगा। 29 जनवरी। चंद्रधारी संग्रहालय मे विरासत जागरूकता सप्ताह कार्यक्रम केर तहत बच्चा सभक बीच चित्रकला प्रतियोगिता केर आयोजन कायल गेल। जहिंमे दर्जनो छात्र-छात्र सभ भाग लेलक। चित्रकला केँ थीम संग्रहालय परिसर स्थित थीमेटिक पार्क मे बनाओल गेल राजा जनक, अहिल्या स्थान, गणु झा सहित कैको प्रतिमा आओर मिथिला संस्कृति केँ विभिन्न पहलु पर आधारित मूर्ति सभक हुबहु कुंची सँ कागज पर बनायब छल।
एहि दौरान संग्रहालयाध्यक्ष डॉ. सुधीर कुमार यादव प्रतिभागी सभकेँ थीमेटिक पार्क मे अधिष्ठापित सदृश्य मूर्ति सभक संगे संग नवनिर्मित आदर्श पेन्टिंग्स दीर्घा केर अवलोकन करैत प्रदर्शित मुगल मिनियेचर, राजस्थानी, पटना कलम आओर पहाड़ी आ मायका पेन्टिंग्स केर विस्तृत जानकारी देलनि। संगहि विरासत केर हिफाजत लेल आगू अएबाक संकल्प करबैत कहलनि कि हमरा सभक जीवनक विकास केर भूमिका मे कला व संस्कृति केँ महत्वपूर्ण स्थान अछि। संग्रहालयाध्यक्ष आगा कहलनि कि प्रतियोगिता मे उत्कृष्ट चित्रकला बनबै बला बच्चा सभकेँ 31 जनवरी दिन मिथिला विवि केँ कुलपति प्रो. सुरेंद्र कुमार सिंह सम्मानित करथिन।