'पद्मावत' सिनेमा केँ विरोध मे रातिक अन्हार मे पत्थरबाज सभ पत्थरबाजी करी सिनेमा हॉलक शीशा तोड़लक

दरभंगा। 30 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा मे पद्मावत सिनेमा केँ विरोध करबाक नौटंकीक बादो जखन कथित नेता लोकनि केँ राजनितिक फायदा नहि भेल आओर आमजन एहि विरोध केँ नकारी देलक तेँ खुल्लम खुल्ला विरोधक ऐलान चोर जोका बदैल गेल। शायद ऐहिक नतीजा अछि कि लहेरियासराय थाना क्षेत्र स्थित रजनीश सिनेप्लेक्स सिनेमा हॉल मे पद्मावत सिनेमा लगबाक संगहि पत्थरबाज उपद्रवी सभ पछिला रवि दिन देर राति चोर जोका रातिक अन्हार मे हॉल पर पत्थरबाजी केलक। जाहिसँ हॉलक गेट सहित कैको शीशा चूर-चूर भ' गेल। 

ई घटना रातिक दू बजे के बताओल जे रहल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक कुछ लोगक टोली एकाएक हॉल लग पहुँचल आओर दनादन पत्थर भेकाब शुरू क' देलक। ऐहिक आवाज बहुतो लोग सुनलक मुदा, डर सँ कियो ऐहिक विरोध नहि केलक। भोर मे हॉलक भीतर कैको पत्थरक संग चकनाचूर भेल शीशा बिछल भेटल। 

एहि घटनाक सूचना भेटते भारी संख्या मे पुलिस बल केँ तैनात क' देल गेल। घटना केँ अंजाम देनिहारक पता एखन धरी नहि चलल अछि। ई उपद्रवयी के छथि? कोन संगठन सँ छथि? ई पता लगायब मुश्किल भ' गेल अछि। बहरहाल, पुलिसक मौजूदगी मे फिल्म चैल रहल अछि। एएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि कि सीसीटीवी कैमरा केर मदति सँ उपद्रवी सभक पहिचान कायल जे रहल अछि। पहिचान भेलाक बाद हुनका सभ पर उचित कार्रवाई कायल जायत।