बताओल जे रहल अछि कि दाऊफिन एन3 हेलिकॉप्टर मुंबईक जुहू सँ भोर 10:20 पर उड़ान भरने छल। हेलिकॉप्टर क' 10:58 पर लैंड होयबाक छल। सूत्र सभक मुताबिक भोर 10:30 बजे एटीसी आओर हेलिकॉप्टरक बीच संपर्क टूटी गेल। हेलिकॉप्टर पर सवार 7 मे 5 लोग ओएनजीसी केँ कर्मचारी आओर दू पायलट छल। कर्मचारी सभ काज पर जे रहल छल।
नौसेना द्वारा हेलिकॉप्टरक तलाश लेल स्टील्थ पनडुब्बी आईएनएस टेग तैनात कायल गेल अछि। संगहि टोही विमान पी8आई केँ सेहो खोज करबाक लेल लगा देल गेल अछि।
अपने क' बता दी कि समुद्र मे ओएनजीसी के ऑयल फील्ड धरी कर्मचारी सभकेँ ल' जेबाक दौरान पहिनो कैको हादसा भ' चुकल अछि। बरख 2003 मे सेहो एक हेलिकॉप्टर अरब सागर मे हादसा केर शिकार भेल छल। जाहिमें ओएनजीसी के 23 कर्मचारीक मौत भेल छल। ऑयल फील्ड मे ओएनजीसी अप्पन सैंकड़ों कर्मचारी केँ तैनात राखने अछि। हुनका सभके ल' जेबाक लेल हेलिकॉप्टरक उपयोग कायल जायत अछि।