सुपौल : जमीनक विवाद मे दू पक्षक बीच माएरपीट, NH-106 कायल गेल जाम

सुपौल। 13 जनवरी। सरकारी जमीनक विवाद मे दू पक्षक बीच माएरपीट भेल। जाहिमें एक महिलाक गंभीर रुपे घायल होयबाक खबैर अछि। ऐहिक बाद तमसायल परिजन सभ दोसर पक्षक पिकअप गाड़ी मे तोड़ फोड़ केलक आओर भीम नगर ओपी क्षेत्रक अंतर्गत पड़े बला शिव नगर लग एनएच 106 केँ लगभग 1 घंटा धरी जाम राखलक। 

स्थानीय लोग सभक मुताबिक ई विवाद कैको बरख सँ चैल रहल अछि। प्रशासनक पदाधिकारी आओर अंचलाधिकारी सभक द्वारा कैको बेर जमीनक मापी सेहो कायल जे चुकल अछि। ऐहिक बावजूद रास्ता लेल विवाद आक्रामक रूप ल' लेलक जाहिमे दुनू पक्ष मे खूब माएरपीट भेल।