पूर्णिया : 2672 लीटर शराब संग एक तस्कर गिरफ्तार

पूर्णिया। 15 जनवरी। बिहार मे शराब बंदीक बादो तस्कर गिरोह सक्रिय अछि। हर दिन शराब तस्कर सभ ओर कार्रवाई होयबाक खबैर भेटैत रहैत अछि। एहिकड़ी मे जिलाक पुलिस केँ बड़का सफलता भेटल अछि। पुलिस 2672 लीटर शराब बरामद केना अछि।

अपने क' बता दी कि पूरा जिला मेँ शराब बरामदगी अभियान चैल रहल अछि। तस्कर सभ पर सेहो कार्रवाई भ' रहल अछि। तस्कर सभक गिरफ्तारी लेल सघन छापामारी अभियान चैल रहल अछि। 

टटका मामला मे बायसी थाना आओर सशस्त्र बल द्वारा गुप्त सूचनाक आधार पर बायसी पूरब चौक N.H-31 पर ट्रक नं0-BR-06 G/6256 सँ कुल-2672 लीटर 280 एमएल विदेशी शराबक संग एक तस्कर दीप नारायण यादव केँ गिरफ्तार कायल गेल अछि।