संभावना : मिथिला विश्वविद्यालय केँ फेरसँ भ' सकैछ बंटवारा, नवा विवि स्थापनाक प्रक्रिया लगभग पूरा

दरभंगा। 23 जनवरी। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केँ फेरसँ बंटवारा होयबाक प्रबल संभावना अछि। एहिसँ पहिने विवि केँ 1993 मे बांटिकेँ भूपेंद्र नारायण मंडल विवि, मधेपुरा केर निर्माण भेल छल। आब मुंगेर विवि केर स्थापना भ' रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शिक्षा विभाग केँ विवि स्थापना संबंधी धरातलक काज सभकेँ शीघ्र पूरा करबाक  आदेश देना छथि, ताकि नवा विवि मे शीघ्र काम काज शुरू कायल जे सके।

अपने क' बता दी कि विवि केँ स्थापना सँ  संबंधित विधेयक अधिनियम केर प्रक्रिया पहिने पूरा कायल जे चुकल अछि। तिलकामांझी भागलपुर विवि क' कैको जिलाक कॉलेज सहित मिथिला विवि केँ बेगूसराय जिला स्थित कॉलेज सभकेँ एहि नवा विवि मे शामिल करबाक योजना अछि।  


ललित नारायण मिथिला विवि केँ करीब 71 हजार छात्र नवा विवि मे चल जेता। बेगूसराय जिला मे पांच अंगीभूत आ दू संबद्ध कॉलेज सभक अलावा  चारि गोट बीएड कॉलेज अछि जे नवा विवि मे चल जायत। अंगीभूत कॉलेज मे बेगूसराय केँ जीडी कॉलेज, एसके महिला कॉलेज, एसबीएसएस कॉलेज आ एपीएसएम कॉलेज, बरौनी व आरसीएस कॉलेज, मझौल शामिल अछि। ऐहिक अलावा दू संबद्ध कॉलेज मे आरसीएसएस कॉलेज, बीहट व आरबीएस कॉलेज, तिआई अछि। ऐहिक अलावा चारि गोट बीएड कॉलेज अछि। जाहिमे एमएम रहमानी बीएड कॉलेज, दामोदरपुर -बरौनी, श्याम स्कूल ऑफ एजुकेशन, तेघरा, मेघराज मेमोरियल बीएड कॉलेज, फुलवरिया, बरौनी आओर कॉलेज ऑफ एजुकेशन, विक्रमपुर-मझौल शामिल अछि।