पटना। 23 जनवरी। कैल्हि पूरा दिन सभ स्कूल-कॉलेज मे भक्तिमय माहौल देखबाक लेल भेटल। ओतहि, राति होयते बी.एन कॉलेजक मेन हॉस्टल मे एक अलगे जश्नक माहौल देखार देलक, जता सरस्वती पूजाक नाम पर पूरा राति अश्लील गीत पर अभद्र नाच भेल।
प्राप्त खबैर केर मुताबिक सरस्वती पूजाक उपलक्ष मे बी.एन कॉलेजक मेन हॉस्टल मे सेहो माँ सरस्वती केँ पूजा कायल गेल। ओतहि हॉस्टलक छात्र सभ हर बरखक भांति एहियो बरख कैल्हि राति बार बाला सभक नाचक आयोजन केलक। एतबे नहि नाचक दौरान कैको राउंड फायरिंग सेहो होयबाक खबैर अछि।
अपने क' बता दी कि हर बरख एहि तरहक आयोजन पर हॉस्टलक छात्र सभ पूजाक नाम पर अप्पन मनोरंजनक साधन हेरैत अछि। ई कोनो नवा कारनामा नहि अछि। प्रशासन चाहे लाख दावा क' लिए, मुदा मिडिया मे आयल वीडियो मे ई साफ देखकर द' रहल अछि कि कॉलेज परिसर मे कुन तरहक सरस्वती पूजा मनाओल जे रहल अछि।