कार्यक्रमक दौरान टूटल मंच, बाल - बाल बचला लालू पुत्र तेजप्रताप यादव

पटना। 23 जनवरी। पटना केँ अथमलगोला प्रखंड मे आयोजित एक कार्यक्रम मे आय राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव केँ पुत्र तेजप्रताप यादव बाल - बाल बचला। दरअसल, आयोजित कार्यक्रमक मंच एकाएक टूटी गेल जाहिसँ मंच पर ठाढ़ लोग सभ नीचा गिर परल। तेजप्रताप यादव सेहो मंच पर मौजूद छला आओर किछु देर मे ओ कार्यक्रम केँ संबोधित करय बला छला।


मंचक टुटबाक बाद अफरातफरी मैच गेल। लोग सभ तुरंत गिरल नेता सभकेँ उठेबाक लेल दौड़ परला। ओनाकि तेजप्रताप यादव केँ चोट नहि लागल अछि। मंच केँ फेर सँ बनेबाक काज कायल जे रहल अछि आओर मंच बनलाक बाद तेजप्रताप फेर सँ कार्यक्रम केँ संबोधित करता।