दरभंगा। 31 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक मिथिला स्टूडेंट यूनियनक हायाघाट इकाई केर तत्वावधान मे 4 फरवरी, 2018 केँ मिथिला प्रतिभा खोज परीक्षाक आयोजन होमै बला अछि। जाहिमे वर्ग 8वी, 9वी,10वी केर छात्र छात्रा भाग लेत। मिथिला स्टूडेंट यूनियन हायाघाट क्षेत्रक मेधावी छात्र छात्रा सभकेँ अप्पन प्रतिभा उजागर करबाक मौका द' रहल अछि। जे छात्र छात्रा एहि परीक्षा मे प्रथम स्थान आनत हुनका संस्थाक दिस सँ सम्मानित कायल जायत।
मिथिला स्टुडेंट युनियन (MSU) आगा एहि तरहक प्रतिभा परीक्षाक आयोजन करैत रहत। जाहिसँ छात्र छात्रा सबक किताबक ज्ञान केर संगे - संग समुचित विकास सेहो होयत। एहि परीक्षा मे जे बच्चा प्रथम श्रेणी सँ उत्तीर्ण हेता हुनका डी सी सी कोचिंग सेंटर मे पूरा एक बरख धरी निःशुल्क पढ़ाओल जायत। ओतहि द्वितीय स्थान प्राप्त करनिहारक कोचिंग शुल्क मे 50% छुट देल जायत। 1 सँ 50 धरीक स्थान प्राप्त करनिहार बच्चा सभकेँ किताब कॉपी देल जायत। जतेक बच्चा एहि परीक्षा मे भाग लेत हुनका सभकेँ 2 मासक स्पीकिंग इंग्लिश कोर्स निःशुल्क कराओल जायत। ई सभ सुविधा डि सी सी कोचिंग सेंटर दिस सँ देल जायत।