तेजस्वी केँ नेतृत्व सँ नाखुश आरजेडी केँ जनरल सेक्रेटरी अशोक सिन्हा देलक इस्तीफा

पटना। 30 जनवरी। चारा घोटाला मेँ राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के जेल गेलाक बाद आब हुनकर पार्टी पर सेहो संकटक बादल देखकर द' रहल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक पार्टीक जनरल सेक्रेटरी अशोक सिन्हा पार्टी सँ इस्तीफा द' देना छथि। अप्पन इस्तीफा केँ कारण मे अशोक सिन्हा साफ - साफ कहलनि कि ओ लालू केँ जगह पार्टीक कमान संभाली रहल तेजस्वी यादव केर कार्यशैली सँ नाखुश छथि।

आगा ओ कहलनि कि मौजूदा समय मे आरजेडी अप्रासंगिक भ' गेल अछि। ऐहिक लेल नीक होयत कि समय बर्बाद करबाक जगह पार्टी छोएड़ देल जाय। तेजस्वी यादव लालू जी जोका पार्टीक नेतृत्व नहि क' सकैत छथि। 

अपने क' बता दी कि पछिला किछु दिन पहिने लालू प्रसाद यादव केँ चारा घोटाला मामला मे सजा भेलाक बाद हुनकर गैर मौजूदगी मे आरजेडी केँ बागडोर हुनकर पुत्र आओर पूर्व उप-मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव केँ सौंप देल गेल छल। ऐहिक बादे सँ हुनका सामना बड़का - बड़का चुनौती पार्टीक आंतरिक कलह केँ खत्म करब मानल जे रहल छल, मुदा जनरल सेक्रेटरी केँ इस्तीफाक संग हुनका बड़का झटका लागल अछि। पार्टीक भीतर उपजल कलह केँ खत्म करबाक संगहि तेजस्वी केँ सामना बिहार मे पार्टीक परंपरागत वोट सेहो संग बनेना रखबाक चुनौती अछि। 
 
गौरतलब अछि कि चारा घोटाला मे लालू प्रसाद यादव केँ जेल गेलाक बाद आरजेडी के सियासी अग्निपरीक्षा अगिला महीना (फरवरी) मे होयत। अररिया लोकसभा सीट सहित दू विधानसभा सीट जहानाबाद आओर भभुआ मे उपचुनाव होमै बला अछि। अररिया संसदीय सीट आरजेडी सांसद मोहम्मद तस्लीमुद्दीन केर निधन भेलाक बाद खाली भेल अछि। ओतहि जहानाबाद सीट आरजेडी विधायक मुद्रिका सिंह यादव केर निधन आओर भभुआ विधानसभा सीट बीजेपी विधायक आनंद भूषण पांडेय केर  निधन भेला पर खाली भेल अछि। 

अररिया संसदीय सीट बनेना रखना आरजेडी लेल बड़का चुनौती अछि। अररिया विधानसभा सीट सँ तस्लीमुद्दीन केँ बेटा सरफराज आलम एखन जेडीयू सँ विधायक अछि। आरजेडी सरफराज क' फेर सँ दल मे आनबाक कोशिश क' रहल अछि आओर हुनका एहि सीट सँ लड़ाबे चाहैत अछि। जेडीयू सेहो हुनका अप्पन दल सँ टिकट द' सकैछ, मुदा पहिने ई तय करे पड़त कि ई सीट जदयू केँ हिस्सा रहत वा बीजेपी केँ।