मधुबनीक बाद आब दरभंगा जंक्शन पर देखार देत मिथिला संस्कृतिक झलक, पूरा देबाल पर बैन रहल अछि मिथिला पेंटिंग

दरभंगा। 31 जनवरी। दरभंगा स्टेशन केँ मिथिलांचल संस्कृतिक झलक देबाक कवायत तेज भ' गेल अछि। ऐहिक लेल जंक्शन केँ प्लेटफ्रॉम संख्या एक आओर वेटिंग रूम मे मिथिला संस्कृतिक झलक देखेबाक लेल पूरा देबाल पर सुन्नर मिथिला पेंटिंग बनेबाक काज शुरू भ' गेल अछी। 
 
दरअसल, रेलवे दिस सँ श्रमदानक जरिए जंक्शन पर मिथिला पेंटिंग बनेबाक लेल कलाकार सभकेँ आमंत्रित कायल गेल छल। जाहिक लेल पूरा जिलाक 60 सँ बेसी कलाकार स्टेशन पर मिथिला पेंटिंग बनेबाक इच्छा जतबैत अप्पन नाम स्टेशन अधीक्षक लग दर्ज करेलक।

कलाकार सभक संख्या बेसी होयबाक कारण रेलवे द्वारा कलाकार सभकेँ आठ समूह मे बांटल गेल अछि आओर सभ समूह केँ पेंटिंग बनेबाक लेल जगह सेहो आवंटित क' देल गेल अछि। दरभंगा जंक्शन पर पेंटिंग करबाक लेल पहुंचल कलाकार सेकेंड क्लास वेटिंग रूमक देबाल पूरा तरहे तैयार नहि होयबा सँ कने नाराज देखार देलक, मुदा हुनका सभकेँ एहि बातक ख़ुशी छैन्ह कि हुनका सभक द्वारा बनाओल जे रहल मिथिला पेंटिंग आब दरभंगा आबय जाय बला सभ कियो देखत। एहिसँ हुनका सभक संस्कृति सँ जुड़ल मिथिला पेंटिग केँ प्रचार-प्रसार होयत, जाहिसँ ओहिक लोकप्रियता केँ मजबूती भेटत।

और नया पुराने