मधुबनी : पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट (मिथिला कप - 2018) केँ छठम लीग मैच मे आफताब एलेवेन टेकहा 46 रन सँ विजयी

मधुबनी। 23 जनवरी। [विनोद शंकर झा लड्डू] युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल।  मिथिला कप 2018 केँ छठम लीग कैल्हि सोम दिन आफताब एलेवेन टेकहा, सीतामढ़ी स्टार एलेवेन, मुहम्मद टोल केँ 46 रन‌ सँ पराजित क' देलक। 

टाॅस जीत पहिने बल्लेबाज़ी करैत स्टार एलेवेन केँ गेंदबाजीक सामने आफताब एलेवेन मात्र तीस रनक स्कोर पर दस ओवर मे चारि  विकेट गंवा संघर्ष करैत नजैर आएब रहल छल मुदा, रिक्कू द्वारा बिषम परिस्थिति मे बेहतरीन बल्लेबाजी करैत आफताब एलेवेन टीमक लेल महत्त्वपूर्ण 72 रन बनाओल गेल। रिक्कू सिंह सम्मान जनक स्कोर 145 धरी  टीमक स्कोर पहुंचा देलक।145 रनक पाछू करैत स्टार एलेवेन मुहम्मद नीक शुरुआत केलक आओर एक समय जीतक पथ पर आगू बढ़ी रहल छल मुदा, बउआ केर शानदार मेडन दू विकेट ओवर खेलक पासा बदैल देलक। संगहि रिक्की 2 विकेट ल' स्टार एलेवेन, मुहम्मद टोलक जीतक उम्मीद पर पैन फेर देलक। सतरहम ओवर मे 99 रनक स्कोर पर पूरा टीम आउट भ गेल।


कैल्हिक मैचक अतिथि ग्रामीण श्री दिनेश झा मैन‌ आॅफ द मैच रहल विजेता केँ प्रशस्ति पत्र देलनि ओतहि रिटायर मैलेट्री श्री सुशील कुमर (जे  1962 आओर 1965 युद्ध मे भाग लेना रहथिन ) बल्ला द' मैन आफ द मैच विजेता केर मनोबल बढ़ौलनि। टूर्नामेंटक स्कोरर अजित उप विजेता टीम केँ सांत्वना पुरस्कारक रूप मे कप देलनि। टूर्नामेंटक अध्यक्ष सह मैरीन चीफ इंजिनियर विनोद शंकर झा लड्डू अतिथि, टूर्नामेंट केँ सदस्य गोलू, विकास, समीर मोनू, कृष्णा, मुरारी सहित सभ अभिभावक केँ धन्यवाद देलनि।

युगान्तर ट्रस्ट द्वारा प्रायोजित मिथिला कप- 2018 - लीग मैच स्कोर विवरण;

छठम लीग मैच

स्टार XI मोहम्मद टोला vs अफताब XI ठेकहा

टाॅस - ठेकहा (बल्लेबाजी)
ठेकहा - 145/8 (20 ओवर)
मो. टोला- 99/10 (16.4 ओवर)
परिणाम- ठेकहा 46 सँ विजयी
मैन ऑफ द मैच - रिक्कू सिंह (72 रन 2 विकेट)