पूर्णिया : पूर्व मंत्री व रुपौली केँ जदयू विधायक बीमा भारती केँ घरसँ लाइसेंसी पिस्टल समेत लाखो टाकाक जेवर भेल चोरी

पूर्णिया। 23 जनवरी। पूर्व मंत्री व रुपौली केँ जदयू विधायक बीमा भारती केँ भवानीपुरक दुर्गापुर चौक स्थित घर सँ चोर सभ लाइसेंसी पिस्टल समेत दस लाख सँ बेसिक जेवर व आन सामान चोरा लेलक।  

प्राप्त खबैर केर मुतबिक चोर सभ मुख्य दरबाजा केँ ताला तोड़ी घर मे  प्रवेश केलक आओर एहि घटना केँ अंजाम देलक। भवानीपुर पुलिस कहलनि कि विधायक बीमा भारती रवि दिन भिट्ठा गाम गेल छली, एहि बिच दुपहरक आसपास लोग सभ पुलिस केँ घरक ताला टूटल देख सूचना देलक। 

जाहिक बाद मौका पर पहुंचल पुलिस ऐहिक सूचना विधायक केँ देलक। विधायक बीमा भारती कहलनि कि हुनका घर सँ चोर सभ करीब 10 लाख टाकाक जेवर समेत हुनकर लाइसेंसी पिस्टल सेहो चोरा लेलक। एहि घटनाक बाद पूरा इलाका मे खलबली मचल अछि। पुलिस मामलाक  छानबीन शुरू क' देना अछि।