मधुबनी। 23 जनवरी। मधुबनी जिलाक अंतर्गत बेनीपट्टी प्रखंडक गम्हरिया गाम मे विराजमान एकमात्र अंकुरित सरस्वती माता केँ पूजा धूमधाम सँ मनाओल जे रहल अछि। पछिला बरखक भांति अहियो बरख पूजाक आयोजनक वृहद रूप देखल जे रहल अछि। पर्यटन विभागक नजैर सँ ओझल बिहारक एहि एकमात्र अंकुरित सरस्वती मंदिर मे दर्शनक लेल दूर-दराज सँ लोग सभक भाड़ी भीड़ जुटैत अछि।
खुशी व्यक्त करैत एक ग्रामीण कहलनि कि गाम मे एखन उत्सव केर माहौल अछि आओर सौभाग्य अछि गम्हरिया गामक जता विद्याक देवी सरस्वती माँ केर दिव्य मूर्ति विराजित अछि। गाम मे लगातार श्रद्धालु सभक आएब - जाएब लागल अछि।
एहि बरख सरस्वती पूजा केँ आधुनिकताक संग सेहो जोड़ल गेल अछि। जाहिमे फेसबुकक सहारा लैत पूजा समिति पूजनोत्सव केर दौरान मंदिर प्रांगण मे सेल्फी ल' फेसबुक पर अपलोड करब आ ओहिकेँ सभसँ बेसी लाइक भेटै बला केँ नगद इनाम व पुरस्कार देबाक घोषणा केना अछि।
सरस्वती पूजनोत्सव केँ दौरान प्रशासनिक पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि सभक सम्मान समारोह आयोजित कायल गेल। जाहिमे बेनीपट्टी अनुमंडल पदाधिकारी मुकेश रंजन, पुलिस पदाधिकारी पुष्कर कुमार, बीडीओ डॉ अभय कुमार, विधायक सुधांशु शेखर, थानाध्यक्ष हरेराम साह, पुलिस इंस्पेक्टर प्रवीण मिश्रा सहित कैको पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि सभक सम्मान मिथिलाक पारंपरिक पाग आ चादर द' ग्रामीण सभक द्वारा कायल गेल।
एक नजैर एम्हरो : आऊ सहज आ आसानी सँ अपन मातृलिपि 'मिथिलाक्षर' सीखी
एहि दौरान अप्पन संबोधन मे अनुमंडल पदाधिकारी मुकेश रंजन सरस्वती मंदिरक महिमा केर बखान करैत कहलनि कि मंदिरक विकास व पर्यटनक क्षेत्र मे बेहतरीक लेल प्रशासन स्तर पर हर संभव प्रयास कयल जायत। ओतहि पुलिस पदाधिकारी पुष्कर कुमार सम्मान उपरान्त गम्हरिया वासी सभक धन्यवाद कहैत कहलनि कि बेनीपट्टी अनुमंडलक तमाम प्रसिद्ध धार्मिक स्थल सहित सरस्वती मंदिर गम्हरिया केँ पर्यटक सर्किट मे शामिल करबाक हरसंभव प्रयास कायल जायत। ओतहि क्षेत्रीय हरलाखी विधायक सुधांशु शेखर सम्मान समारोह केर दौरान उपस्थित लोग सभकेँ अप्पन संबोधन मे आश्वत केलनि कि आबै बला दिन मे मंदिरक विकास लेल व बिहार सरकार सँ एहि मंदिर केँ पर्यटनक क्षेत्र मे सभ तरहक लाभ दिएबाक मांग कायल जायत। कार्यक्रमक दौरान मंच संचालन बीजे बिकास झा केलनि।
एक नजैर एम्हरो : आऊ सहज आ आसानी सँ अपन मातृलिपि 'मिथिलाक्षर' सीखी