अपने क' बता दी कि रांचीक जेल मे बंद लालू यादव केँ अब हाई कोर्ट सँ जमानत लेबा मेँ बहुत मुश्किल होयत। अदालत तत्कालीन मंत्री विद्या प्रसाद केँ तीन बरखक सजा सुनेना अछि। चारा घोटालक ई तेसर मामला अछि। चाईबासा कोषागार गबन केँ एहि मामला मे कोर्ट 56 आरोपि मे 50 क' दोषी ठहरौलनि अछि।
एम्हर, लालू यादव केँ दोषी ठहरेबाक बाद लालू यादव केँ बेटा आओर बिहारक पूर्व डेप्युटी उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव कहलनि कि बिहारक एक-एक आदमी जानैत अछि कि लालूजी केँ एहि मुकदमा मे फंसाओल गेल अछि। बीजेपी आओर नीतीश कुमार लालूजी केँ फंसेबा मे लागल छथि। हुनका सभक बस एकही टारगेट अच्छी कि कुन तरहे लालूजी केँ फंसाओल जाए। बिहारक विकासक बजाय ई सभ लालूजी केन दबेबा मे लागल छथि। ऐहिक लेल जनता सभमे बहुत तामस अछि, मुदा अदालतक फैसला अछि आओर हम सभ ऐहिक सम्मान करैत छी। हम सभ हाई कोर्ट मे अपील करब।