पटना मे करणी सेना लहरौलक औजार, देलक गर्दैन काटबाक धमकी

पटना। 24 जनवरी। संजय लीला भंसाली केँ फिल्म पद्मावत केर विरोध एखनहुँ जारी अछि। पटनाक सड़क पर करणी सेना सिनेमा हॉलक मालिक सभकेँ धमकी देबाक लेल औजार उठा लेना अछि। विरोध प्रदर्शन केर दौरान करणी सेना बंदूक, तलवार ल' पटनाक सड़क पर खुलेआम विरोध प्रदर्शन केलक।


एहि बीच करणी सेना फेर सँ धमकी देना अछि कि ओ सभ फिल्म रिलीज नहि होमे देत। फिल्म पर उपजल विवाद आओर हिंसक भ' चुकल विरोधक बीच करणी सेनाक कार्यकर्ता सभ धमकी दैत कहलक कि फिल्म केर रिलीज होयबा सँ रोकबाक लेल किनको हत्या करे पड़ल तेँ ओ सभ पाछू नहि हटता।


बंदूक ल' विरोध प्रदर्शन क' रहल राजपुत समुदाय केर लोग सभकेँ समझेबा बुझेबाक लेल पुलिस मौका पर तैनात छल। जाहिक बाद कार्यकर्ता सभ अप्पन - अप्पन औजार नुका लेलक। ओनाकि पहिने सिनेमा हॉल मैनेजमेंट कहि चुकल अच्छी कि ओ पद्मावत फिल्म नहि लगायत। 


अपने क' बता दी कि एहिसँ पहिने कैको राज्य मे करणी सेना विरोधक संग सिनेमाहॉल मे तोड़फोड़ क' चुकल अछि। एहि मामला मे एखन धरी कैको केँ गिरफ्तारी भ' चुकल अछि।