रांचीक सीबीआई केँ विशेष न्यायाधीश एसएस प्रसादक अदालत मे आय चाईबासा कोषागार मामला मे निर्णय आएब चुकल अछि। चाईबासा कोषागार सँ बरख 1992-93 मे 33 करोड़ 13 लाख 67 हजार 534 टाकाक अवैध निकासी भेल छल। जखनकि कोषागार मे कुल आवंटन 7.10 लाख टाका छल ।
एहि मामला मे 12 दिसंबर 2001 केँ चार्जशीट दाखिल कायल गेल छल। जाहिमे कुल 76 गोटाकेँ आरोपी बनाओल गेल छल। जाहिमे 14 आरोपी सभक मौत पहिने भ' चुकल अछि। जखनकि 3 आरोपी सरकारी गवाह बैन गेला। सरकारी गवाह बनल लोग सभक नाम दीपेश चांडक, आर के दास, शैलेश प्रसाद सिंह अछि। एहि मामला मे 2 आरोपि अप्पन गुनाह कार क' लेना छल, हुनका सभकेँ सजा सेहो भ' चुकल अछि। सजा भेटल आरोपी सुशील झा आओर प्रमोद कुमार जायसवाल अछि। जखनकि एक आरोपी फूल सिंह केँ भगोड़ा घोषित कायल जे चुकल अछि।