मधुबनी निर्भया कांड लेलक नवा मोड़, पोस्टमार्टम सँ भेल दुष्कर्म नहि होयबाक पृष्टि

मधुबनी। 25 जनवरी। मिथिला दैनिक अप्पन समस्त पाठक लोकनि सँ क्षमा याचना करैत सूचित करैत अछि कि कैल्हि वेबसाइट पर प्रमुखता सँ प्रकाशित भेल खबैर "मधुबनी मे दोहराओल गेल निर्भया कांड, एक बेर फेर शर्मसार भेल मानवता" गलत सावित भेल अछि। 


कैल्हिक खबैर डॉक्टर सभक बयान आओर अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी केर संदेह पर आधारित छल। डॉक्टर सभक मुताविक नाबालिग केँ मौत गुप्त अंग सँ बहुत बेसी ब्लडिंग भेलाक कारण भेल छल। मुदा शव केँ पोस्टमार्टम भेलाक बाद नाबालिग संग दुष्कर्म होयबाक बात गलत साबित भेल। 

अपने केँ बता दी एहि घटना सँ आक्रोशित लोग सभ कैल्हि सड़क जाम करी पुलिसक विरुद्ध खूब नाराबाजी केना छल। पुलिसक डॉग स्क्वाडक टीम सेहो कातिलक तलाश करबाक खूब प्रयास केलक। एहि क्रम मे पुलिसक हाथ एक अहम सबूत आयल जाहिक बाद ई मामला सुलझबा मे कनिको देर नहि लागल। 

एक वीडियो पुलिसक हाथ लागल अछि जे ओहि समय बनाओल जे रहल छल जखन सरस्वती प्रतिमाक भसान काल किछु युवक ट्यूब लाइट केँ अप्पन शरीर पर तोड़ैत छल। पुलिस आओर मिडिया केँ हाथ आयल वीडियो मे अस्पस्ट रूपसँ आवाज आएब रहल अछि कि एक युवक पूछी रहल छथि जे की भेलै? दोसर कहैत छथि एक लड़की केँ बहुत खून बैह रहल छै। ऐहिक बाद वीडियो मे अस्पस्ट रूपसँ आवाज आएब रहल अछि सभकियो एहिठाम सँ जल्दी सँ जल्दी भागु आओर ट्रेक्टर सेहो तेजी सँ भागे लागल।  

दरअसल सरस्वती प्रतिमाक विसर्जन काल भीड़ मे किछु युवक ट्यूब लाइट केँ अप्पन शरीर पर तोड़ैत छल आओर एहि दौरान उक्त लड़की केँ जांघ लगक एक नस ट्यूव लाइटक टुकड़ा सँ कटी गेल आओर ब्लडिंग होमे लागल जाहिक बाद सभ युवक ओहिठाम सँ पड़ा गेल आओर लड़की सड़क कात तड़पैत रही गेली। बहुत देरक बाद किछु अनजान लोग सभ लड़की केँ अस्पताल पहुँचेलक मुदा एहि दरमियान शरीर सँ काफी खून बहबाक कारण लड़की केँ मौत भ' गेल।  

मधुबनी पुलिस अधीक्षक दीपक वरनवाल कहलनि कि पोस्टमार्टम रिपोर्टक मुताबिक लड़कीक मौत अत्यधिक खून बहबाक कारण भेल अछि। एहि मामला मे सभ अभियुक्तक पहिचान भ' गेल अछि, जल्दे सभ  अभियुक्त केँ गिरफ्तार कायल जायत। चुकी सभ अभियुक्त लड़की केँ घायल अवस्था मे छोड़ी पड़ा गेल छल ऐहिकलेल हुनका सभक विरुद्ध हत्याक मामला दर्ज कायल जायत।