सहरसा। 04 जनवरी। सहरसा जिलाक डीबी रोड मे चारि गोट बच्चाक सभ एक संग देखिकेँ लोग सभक रूह कांपी उठल। चारो बच्चाक एम्हर - ओम्हर पसरल छल। प्राप्त खबैर केर मुताबिक लगभग एक सप्ताह सँ लापत एक बच्चाक शव भेटबाक बात सुनी तीन बच्चा शव क' देखा गेल छल।
पहिल बच्चाक शव होटल राज दरबारक गली मे भेटल छल जकरा देखबाक लेल मोहल्ला केँ तीन बच्चा गेल छल। एहि दौरान बच्चा सभकेँ ई खबैर नही छल कि ओता सँ 11 हजार वोल्टक हाइ वोल्टेज तार गुजरल अछि। तीनो बच्चा विद्युत प्रवाहित तारक चपेट मे आएब गेल जाहिसँ तीनो केँ मौके पर मौत भ' गेल। मृत बच्चा सभकेँ तीन लड़की आओर एक लड़का शामिल अछि।
स्थानीय लोग सभक मुताबिक गायब भेल बच्चाक शव एक खधैर मे पड़ल छल आओर ओकरा देखबाक लेल तीनो बच्चा खधैर मे उतरल जाहिमे पैन भरल छल आओर खधैरक पैन मे 11 हजार वोल्टक हाइ वोल्टेज तार टुटीकेँ गिरल छल जाहिक चपेट मे अएला सँ तीनो बच्चाक मौत भ' गेल।