प्रदेश सचिव रामसागर पांडेय कहलनि कि कोसी आओर बिहार मे रेलक विकास ललित बाबू केर देन अछि। कार्यक्रम केर अध्यक्षता करैत एनएसयूआई के पूर्व जिलाध्यक्ष सुदीप कुमार सुमन कहलनि कि मिथिलाचंलक विकास आओर अंतरराष्ट्रीय पहिचान मे ललित बाबूक योगदान अछि। एहि मौका पर एनएसयूआई जिलाध्यक्ष विराज कश्यप, प्रवक्ता साबिर हुसैन, किरण मेहता, सन्नी ठाकुर, सुरज झा, गौतम कुमार, राघव कुमार, अभय कुमार, प्रवीण छोटू, सुशील सिंह, गोलु कुमार, कुमोद कुमार सिंह आदि मौजूद छला।