समस्तीपुर : अपराधी सभ यूको बैंक केर शाखासँ दिनदहाड़े लाखो टाका लूटलक, CCTV केँ हार्ड डिस्क सेहो संग ल' गेल

समस्तीपुर। 04 जनवरी।[प्रणव कुमार चौधरी] बिहार मे अपराधी सभ दिनदहाड़े लूटक घटना क' अंजाम द' रहल अछि। एहने एक मामला सामना आयल अछि जता अपराधी सभ हथियारक बल पर समस्तीपुरक गोला रोड स्थित यूको बैंक केँ शाखा सँ 52 लाख टाका लूटी लेलक।

प्राप्त खबैर केर मुताबिक, 7-8 गोटाक संख्या मे अपराधी सभ बैंक मे घुसल आओर बैंकक कर्मचारी आओर ग्राहक सभकेँ बंधक बना लेलक। हथियारक बल पर अपराधी सभ काउंटर मे राखल 52 लाख टाका लूटी लेलक। एहि दौरान अपराधी सभक द्वारा कैको राउंड फायरिंग सेहो कायल जेल।

बताओल जे रहल अछि कि अपराधी सभ बैंक मे लागल सीसीटीवी केँ हार्ड डिस्क सेहो अपना संग ल' गेल। लूटक वारदात केर जानकारी भेटला पर डीएसपी आओर पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल। पुलिस पूरा मामला केँ जांच क' रहल अछि।