
शिवहर। 15 जनवरी। बिहारक राजनीतिक दिग्गज नेता आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री रघुनाथ झा नहि रहला। दिल्ली के राम मनोहर लोहिया (आरएमएल) अस्पताल मे इलाजक दौरान देर राति ओ अप्पन अंतिम सांस लेला। 78 बरखक रघुनाथ झा बहुतो दिन सँ बीमार चलैत छलाह। 1972 मे पहिल बेर चुनाव जीत विधायक बनै बला रघुनाथ झा केर गिनती बिहारक सभसँ प्रभावशाली आओर दिग्गज नेता सभमें होयत छल।
शिवहर जिलाक अंबाकला रहिवासी रघुनाथ झा शिवहर सँ लगातार 6 बेर विधायक छलाह। ओ दू बेर लोकसभा चुनाव जीत सांसद सेहो चुनक गेल छलाह। केंद्रक मनमोहन सिंह सरकार मे रघुनाथ झा भारी उद्योग राज्य मंत्री रही चुकल छलाह। एहिक अलावा ओ बिहार सरकार मे डेढ़ दर्जन सँ बेसी विभागक मंत्री रही चुकल छलाह।
मानल जायत अछि कि लालू यादव केँ बिहारक मुख्यमंत्री बनेबा मे रघुनाथ झाक बहुत अहम भूमिका छल। बरख 1990 मे मुख्यमंत्री पदक दावेदारी लेल रघुनाथ झा सेहो चुनाव लड़ल छलाह। हुनका लालू यादव केर बहुत करीबी मानल जायत छल। ओनाकि समय बितलाक संगे लालू संग हुनकर मतभेद उभरीकेँ सामना आयल छल। एहि कारण सँ बाद मे रघुनाथ झा आरजेडी छोएड़ समाजवादी पार्टी मे शामिल भ' गेल छला। रघुनाथ झाक निधन केर खबैर भेटते हुनकर समर्थक सभमें शोकक लहर दौड़ पड़ल अछि।