जम्मू कश्मीर पुलिसक महानिदेशक शेष पॉल वैद्य कहलनि कि जैश-ए-मोहम्मदक ई आतंकवादी दुलांजा उरी इलाका मे घुसपैठ करबाक कोशिश क' रहल छल। जम्मू-कश्मीर पुलिस, सेना आओर सीआरपीएफ केर संयुक्त कार्रवाई मे सभ आतंकवादी केँ माएर गिराओल गेल।
एहिसँ पहिनो जम्मू-कश्मीर मे सुरक्षाबल शनि दिन आतंकवादी सभक एक बड़का साजिश केँ नाकाम केना छल। आशंका जताओल जे रहल अछि कि एहि आईईडी क' सुरक्षाबल सभक कुनु काफिला पर हमलाक उद्देश्य सँ लगाओल गेल छल। श्रीनगर मे सीआरपीएफ केर कमांडिग ऑफिसर राजेश कुमार कहलनि कि सुरक्षा एजेंसि सभकेँ भोर करीब 3 बजे श्रीनगर-बारामूला हाइवे पर आईईडी केर मौजूदगीक सूचना भेटल छल।