बताओल जे रहल अछिकि गामक किछु लोग भोरे भोर अप्पन घर सँ कुछ खेत दिस जायत रहथिन कि एकाएक हुनका सभक नजैर कटल माथ पर पड़ल। लोग सभ नजदीक सँ देखलक तेँ पता चलल कि कउनु नवजातक माथ अछि। आनन-फानन मे लोग सभ ऐहिक सुचना स्थानीय थाना केँ देलक। सूचना भेटते पुलिस तुरंत घटनास्थल पर पहुँचल। जाहिक बाद पुलिस नवजातक माथ अप्पन कब्ज़ा मे लैत पोस्टमॉर्टम लेल सदर अस्पताल भेज देलक। जता डॉक्टर सभ फोरेंसिक जांच लेल भागलपुर भेज देलक।
मुफ्फसिल थाना प्रभारी अरविन्द कुमार कहलनि कि नवजातक माथ देखला सँ पता नहि चैल रहल अछि कि माथ लड़का के अछि वा लड़की के। अपने क' बता दी कि दस दिनक भीतर एहि इलाका मे नवजातक कटल माथ भेटबाक ई दोसर घटना अछि।