बाल बिआह एवं दहेज उन्मूलनक समर्थन मे बनाओल जायत 418 किमी नमहर मानव श्रृंखला

दरभंगा। 05 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] आगामी 21 जनवरी क' बेरू पहर 12 बजे जिला मे बाल बिआह एवं दहेज उन्मूलनक समर्थन मे कुल 418 किलोमीटर नमहर मानव शृंखला बनायल जायत। ऐही मानव शृंखला मे प्रति किलोमीटर मे दू हजार लोग शामिल होयत। बाल बिआह एवं दहेज प्रथा उन्मूलनक समर्थन मे बनाई बला वाली मानव शृंखलाक सफल आयोजन लेल डीएम डॉ चन्द्रशेखर सिंह विभिन्न कोषांगक गठन केलनि। कार्मिक कोषांगक स्थल अपर समाहर्ता कार्यालय होयत। ऐहीक वरीय प्रभारी पदाधिकारी अपर समाहर्ता मो. मोबीन अली अंसारी रहता।

कोषांगक नोडल पदाधिकारी जिलाक अल्पसंख्यक कल्याण पदाधिकारी, जिला पंचायती राज पदाधिकारी, उप निर्वाचन पदाधिकारी, जिला कार्यक्रम पदाधिकारी(सर्व शिक्षा अभियान), भूमि सुधार उप समाहर्ता सदर एवं आईटी मैनेजर हेता। कोषांगक समन्वयक जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (सर्व शिक्षा अभियान) रहता।कोषांग के दायित्व समन्वयक, सेक्टर, जोनल, सुपर जोनल में तैनात रहनाई, प्रति किलोमीटर वार दु हजार आदमी के सूची समन्वयक, सेक्टर एवं प्रखण्ड प्रभारी स प्राप्त केनाई प्रतिनियुक्ति पदाधिकारी/कर्मी के पहचान पत्र उपलब्ध करबेनाई, सब जन प्रतिनिधित्व के आमंत्रण पत्र वितरण सुनिश्चित करेनाई आदि कार्य हैत।

सरकारी कर्मी/राजनीतिक दल एवं विश्वविद्यालय/महाविद्यालय की सहभागिता कोषांग के स्थल जिला लोक शिकायत निवारण कार्यालय में बनाओल गेल अछि। कोषांगक दायित्व सरकारी कार्यालय के कर्मी सबहक गणना, राजनीतिक दल, विश्वविद्यालय के पदाधिकारी, कर्मी, महाविद्यालय के प्रधानाचार्यों के बैठक के आयोजन एवं संख्या निर्धारित क सहभागिता एवं ओर कार्य रहत। प्रतिभागी कल्याण कोषांग का स्थल नगर निगम रहत। कोषांग के  दायित्व पेयजल, एंबुलेंस, प्राथमिक उपचार के रूट चार्ट के अनुसार प्रत्येक प्रखंडक मुख्य सड़क पर उपलब्ध करबेनाई रहत। परिवहन कोषांग अपर समाहर्ता कार्यालय में बनाओल गेल अछि।

कोषांग के दायित्व वाहन के आवश्यकता के आकलन केनाई ओर वाहन ससमय उपलब्ध करबेनाई  यै।यातायात प्रबंधन कोषांग तीनु अनुमण्डल कार्यालय में अछि। कोषांग के दायित्व रूट लाइनिंग, वाहन परिचालन नियंत्रण, विधि-व्यवस्था एवं अन्य कार्य रहत। प्रसार-प्रसार कोषांग साक्षरता मिशन कार्यालय मे बनाओल गेल अछि । कोषांग के काम सीडी एवं कला जत्था क जरिए प्रचार-प्रसार, अपील वितरण, पोस्टर, बैनर एवं दिवाल लेखन करबेनाई  निर्धारित कैल गेल अछि। ओतैय कम्यूनिकेषन प्लान कोषांग एनआइसी कार्यालय मे बनैल गेल अछि। कोषांग के दायित्व कम्यूनिकेशन प्लानिंग, प्रति किलोमीटर वार रूट चार्ट मे लोग सभक नाम के निर्धारण एवं आन कार्य रहत।