17 बरखक बाद खत्म भेल बिहार क्रिकेटक 'बनवास', सुप्रीम कोर्टक आयल बड़का फैसला

पटना। 05 जनवरी। नवा बरख बिहारक क्रिकेट प्रेमी आओर खेलाड़ी सभक लेल बड़का खुशखबरी ल' क' आयल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक  सुप्रीम कोर्ट भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड (बीसीसीआई) क' निर्देश देना अछि कि ओ बिहारक टीम क' अगला सीजन सँ रणजी आओर आन मैच खेलबाक इजाजत दिअ। 

सुप्रीम कोर्टक मुख्य न्यायाधीश न्यायमूर्ति दीपक मिश्रा केर अध्यक्षता बला पीठ कहलक कि बिहार 70 के दशक सँ क्रिकेट खेल रहल अछि। संगहि कोर्ट इयो साफ केलक कि ई अंतरिम आदेश दाखिल याचिका पर नहि बल्कि क्रिकेटक लेल देल गेल अछि।

अपने क' बता दी कि 17 बरख पहिने बिहार आओर झारखंडक बंटवारा भेलाक बाद सँ बिहार मे क्रिकेट बंद अछि। बीसीसीआई झारखंड मे इंफ्रास्ट्रक्चर क' देखैत झारखंड क' खेलबाक इजजात देना छल मुदा बिहार पर रोक लगा देना छल।