लोग सभकेँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाल बिआह, दहेज आओर शराबबंदी केर खिलाफ लोग सभकेँ संकल्प देलनि। ऐहिक बाद मुख्यमंत्री स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड, कुशल युवा कार्यक्रम, हर घर नल का जल, सहित सात निश्चय योजनाक अंतर्गत भ' रहल उपलब्धिक जानकारी लोग सभकेँ देलनि। कार्यक्रम केर दौरान युवा राजद द्वारा करिया झंडा देखाओल गेल मुदा, मुख्यमंत्री हुनका सभक स्वागत करैत कहलनि कि करिया रंग खराब नजैर सँ बचबैत अछि। राज्यक अनुसूचित जाति एवं अनुसूचित जनजाति कल्याण विभागक मंत्री सह प्रभारी मंत्री रमेश ऋषिदेव, सिमरी-बख्तियारपुरक विधायक सह राज्यक आपदा प्रबंधन विभागक मंत्री दिनेश चंद्र यादव मुख्यमंत्री केर नेतृत्व मे राज्य सहित जिला सभमें भ' रहल विकास काजल चर्चा केलनि।
स्थानीय राजद विधायक अरूण कुमार अप्पन संबोधन मे सहरसा मे एम्स स्थापना, बैजनाथपुर पेपर मिल चालू करब सहित विकासक योजना सभकेँ जिला मे लागू करबाक मांग केलनि। जाहिक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन संबोधन मे सभ काज होयबाक आश्वासन देलनि। सहरसाक सभा समाप्त होयते मुख्यमंत्री सुपौल जिलाक लेल प्रस्थान केलनि। जाहिक बाद प्रशासनक अधिकारी सभ राहतक साँस लेलनि। ओतहि मुख्यमंत्रीक आगमन ल'क' सुरक्षा केर पुख्ता इंतजाम कायल गेल छल। सहरसा सहित आसपासक आन जिला सँ भारी संख्या मे पुलिसकर्मी सभक तैनाती कायल गेल छल।