बिहारक संगे - संग पड़ोसी राज्य झारखंड आओर उत्तरप्रदेशक झांकी केँ सेहो जगह नहि भेटल अछि। 2017 मे बिहार प्राचीन शिक्षा संस्थान बिक्रमशिला पर झांकी भेजना छल मुदा ओहिकेँ मंजूर नहि कायल गेल छल। गणतंत्र दिवसक परेड ओ मौका होयत अछि जखन देशक विभिन्न राज्य, देश-विदेशक लोग सभक समक्ष अप्पन प्रदेशक कला, संस्कृति, समृद्ध विरासत आओर विकास केँ झांकी केर माध्यम सँ प्रस्तुत करैत अछि।