चारो न्यायाधीश - न्यायमूर्ति जे चेलामेश्वर, न्यायमूर्ति रंजन गोगोई, न्यायमूर्ति एम.बी. लोकुर आओर न्यायमूर्ति कुरियन जोसेफ मे किनको नाम पांच जजक संविधान पीठक सदस्य मे नहि अछि। आधिकारिक जानकारी केर मुताबिक पांच न्यायाधीशक पीठ मे सीजेआई दीपक मिश्रा, न्यायमूर्ति ए.के. सीकरी, न्यायमूर्ति ए.एम. खानविलकर, न्यायमूर्ति डी.वाई.चंद्रचूड़ आओरन्यायमूर्ति अशोक भूषण शामिल छथि। ई संविधान पीठ 17 जनवरी सँ कैको महत्वपूर्ण मामला पर सुनवाई शुरू करत।