सृजन घोटाला केस मे सीबीआई अमरेंद्र यादव के केलक गिरफ्तार

भागलपुर। 23 जनवरी। सृजन घोटाला मामला मे सीबीआई भागलपुर जिलाक नजारत शाखाक नाजिर अमरेंद्र यादव के गिरफ्तार केना अछि। दू  दिनक पूछताछक बाद सीबीआई हुनका गिरफ्तार करी कोर्ट मे पेश केलक, जता सँ हुनका तीन दिनक पुलिस रिमांड पर भेजल गेल अछि। 

सृजन घोटालाक आरोपित अमरेंद्र यादवे एहि मामला मे पहिल प्राथमिकी दर्ज करबैत आरोप लगेने छल कि शहरी विकास विभाग केँ 12 करोड़ टाका सृजन केँ खाता मे अवैध तरिका सँ राखल गेल अछि। बताओल जायत अछि कि प्राथमिकी दर्ज करेबाक बाद अमरेंद्र अवकाश पर चल गेला आओर विभाग आ सीबीआई सँ तलब होयबाक बावजूद लगातार फरार रहला। मानल जे रहल अछि कि एहि गिरफ्तारीक बाद एहि मामला मे कैको बड़का खुलासा होयत। फिलहाल मीडिया केँ एहि जांच सँ दूर राखल जे रहल अछि।

गौरतलब अछि कि सृजन घोटाला मामला मे एखन धरी 18 लोगक गिरफ्तारी भ' चुकल अछि। गिरफ्तार कायल गेल आरोपी सभक बैंक खाता सँ लेन-देन पर रोक लगा देल गेल अछि। भागलपुर मे एहि घोटालाक खुलासा केँ बाद एहि घोटालाक तार कैको राज्य सँ जुड़ि चुकल अछि।