BSF लेलक शहीद जवान हाजरा केर बदला, पाकिस्तानक 10 सँ 12 रेंजर्स ढेर, कैको चौकी तवाह

नई दिल्ली। 04 जनवरी। पाकिस्तान क' मुंहतोड़ जवाब दैत सीमा सुरक्षा बल (BSF) दस सँ बारह पाकिस्तानी रेंजर्स क' ढेर क' देलक। कैल्ही सांबा सेक्टर मे पाकिस्तान स्नाइपरक हमला मे कांस्टेबल आर पी हाजरा शहीद भ' गेल छलाह। अपने क' बता दी कि आय जवाबी कार्रावई मे बीएसएफ  पाकिस्तानक तीन मोटर रेंज आओर बीओपी क' सेहो निशान बनेलक।  

कैल्हि जम्मू मे अंतरराष्ट्रीय सीमा पर तैनात बीएसएफ के एक जवान आर पी हाजरा पाकिस्तानक दिस सँ भारतीय चौकी पर कायल गेल गोलीबारी मे शहीद भ' गेल छलाह। पश्चिम बंगालक मुर्शिदाबाद केर रहिवासी हाजरा बीएसएफ मे करीब 27 बरख सेवा देना छलाह। हुनकर 21 बरखक एक बेटी आओर 18 बरखक बेटा अछि।