आधार अथॉरिटी एक ट्वीटक माध्यम सँ आधार रीवेरिफिकेशन प्रोसेसक लेल टेलीकॉम कंपनी सभकेँ निर्देश जारी केना अछि। एहि निर्देश मे कंपनी सभकेँ कहल गेल अछि कि ओ ओटीपी केर माध्यम सँ मोबाइल नंबर क' आधार संग लिंक करबाक सुविधा प्रदान करे। आधार अथॉरिटी कहने अछि कि ऐहिक लेल सभ कंपनी अप्पन वेबसाइट आओर ऐप पर पुख्ता इंतजाम करे वा आईवीआरएस केर जरिये ई सुविधा प्रदान करे।
फिलहाल कंपनी सभक वेबसाइट पर तेँ नहि, मुदा आईवीआरएस केर माध्यम सँ अपने अप्पन मोबाइल नंबर क' आधार सँ लिंक करा सकैत छी। ऐहिक लेल यूआईडीएआई 14546 टोल फ्री नंबर जारी केना अछि। अपने एहि नंबर पर कॉल करीकें बहुत आसानी सँ अप्पन मोबाइल नंबर आधार सँ लिंक क' सकैत छी।
ऐना करी लिंक : अपने क' जाहि मोबाइल नंबर क' आधार सँ लिंक काबरक अछि, ओहि नंबर सँ टोल फ्री नंबर 14546 पर कॉल करी। कॉल करबाक बाद अपने सँ आधार नंबर पूछल जायत। अपना जहिना अप्पन अपना आधार नंबर एंटर करब, आधार के साथ रजिस्टर अपनेक मोबाइल नंबर पर 'वन टाइम पासवर्ड (OTP)' आयत। ओटीपी एंटर कैरते अपनके मोबाइल नंबर आधार सँ लिंक भ' जायत।