लालू यादव लेल कैको गोटा केलक सिफारिश, चारा घोटाला मे लालू यादव पर फैसला फेर सँ एक दिनक लेल टारल गेल

रांची। 04 जनवरी। चारा घोटाला सँ जुड़ल एक मामला मे से राष्ट्रीय जनता दल (RJD) केर अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव पर फैसला आय फेरसँ एक दिनक लेल टारल गेल। एहि बीच, रांचीक विशेष सीबीआई अदालतक जज शिवपाल सिंह बड़का खुलासा केना अछि। शिवपाल सिंह कहलनि कि लालू प्रसादक दू लोग हुनका फोन केना छल। ओनाकि ओ दुनू गोटा समर्थक छल वा कोनो नेता, जज ऐहिक जानकारी नहि देला। सुनवाई केर दौरान रांची सीबीआई कोर्टक जज लालू सँ कहलनि कि अहाँक कैको सिफारिश हमरा सँ कायल गेल अछि। मुदा चिंता करबाक जरुरत नहि अछि। हम अगबे कानूनक पालन करब।

गौरतलब अछि कि एहि मामला मे आय गुरु दिन फैसला अएबाक छल मुदा, अंतिम समय मे A सँ ल'क' K धरिक आरोपी सभक सजा पर आय बहस होयबाक खबैर अछि। L सँ नाम होयबाक कारण लालू यादवक सजा पर फैसला कैल्हि शक्र दिन होयत। बिहारक बहुचर्चित चारा घोटाला सँ जुड़ल ई दोसर मामला अछि, जाहिमे लालू यादव क' सजाक ऐलान होयब एखन बांकी अछि।