भागलपुर : पिकनिक मनेबाक लेल जे रहल नौ बच्चा सँ भरल नाह गंगा मे डूबल, तीन केर मौत

भागलपुर। 02 जनवरी। भागलपुर जिला मे रजंदीपुर घाट लग एक नाहक गंगा नदी मे डूबला सँ नौ मे तीन बच्चाक डूबबाक खबैर अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक कैल्हि सोम दिन नववर्ष केर उपलक्ष मे सबौर प्रखंडक रजंदीपुर पंचायत केँ लालूचक संतनगरक नौ बच्चा रजंदीपुर घाट सँ गंगा पार पिकनिक मनबे जायत छल। गंगा नदी मे किछु दूर गेलाक बाद नाह असंतुलित भ' डूबी गेल। 

एहि दुर्घटनाक बाद स्थानीय नाविक सभ नौ बच्चा मे छह बच्चा क' बचा लेलक जखनकि तीन बच्चा क' नहि बचाओल जे सकल। एक पुलिस अधिकारी कहलनि कि एसडीआरएफ केँ दू टीम, एक सरकारी नाह आओर दू नाह पर स्थानीय तैराक, पुलिस आओर मछुआरा सभक सहयोग सँ लापता बच्चा सभक शव निकालल जे चुकल अछि। लापता बच्चा मे वसंत मंडल केँ पुत्र आशीष (13), रवींद्र मंडल केँ पुत्र राजकुमार(12) आओर विनोद मंडल केँ पुत्र सोहित कुमार (11) शामिल अछि।