ससुरक मौत केर खबैर सुनते पुतहु पल्लवी देवी अप्पन पांच बरखक बेटी ल'के सासुर पहुंचली। ओता शिक्षक शशि कुमार मंडल व हुनकर परिजन सभ हुनका घसीटकेँ घर सँ बाहर निकालैत छल। ऐहिकेँ देखैत समाज रामचंद्र मंडल केर पुतहुक समर्थन मे आबि गेल। बात एतेक बढ़ल कि रामचंद्र मंडल केन शव चिता पर घंटों पड़ल रहल। चिता स्थल अस्थिर - अस्थिर रणभूमि मे बदैल गेल। ओहिठाम खूब हंगामा आओर हाथापाई सेहो भेल। पहिने दहेजक लोभी शिक्षक शशि कुमारक कहब छल कि हम अप्पन कनियां क' नहि राखब आओर हुनका गोद मे हमर बेटी अछि। शशि कुमार पुत्री आओर खुदक डीएनए टेस्ट करेबाक बात क' रहल छल, मुदा पंचायतक सरपंच मुरारी मंडल, समिति सदस्य प्रदीप प्रभा आओर समाजसेवी बिट्टू कुमार सहित समाजक सैकड़ों लोग बहु केर समर्थन मे ठाढ़ रहला।
पुतहु सहित समाजक लोग सभक आरोप छल कि दहेजक कारण शिक्षक शशि कुमार अपनी पत्नी क' बराबर प्रताड़ित करैत रहथिन। एहि ल'के पहिने सँ न्यायालय मे मामला चैल रहल छल। कैल्हि जखन ससुरक मौत पर एकलौती पुतहु पहुंचली, तेँ सासुर पक्ष हुनका पर कहर बनल छल। आखिरकार चिता स्थले पर एक पंचायती भेल। पंचायत मे शिक्षक आओर हुनकर मौसा प्रदीप मंडल जखन बिना दहेजक पुतहु क' अपनेबाक बात मानलनि तखन मामला शांत भेल। फेर शिक्षक शशि आओर मृतक केँ मासूम पोती रितिका दुनू मिल चिता क' आगि देलक। समाजक लोग सभ कहलनि कि बाद मे ऐहिक लेल गाम पंचायत बैसा पति-पत्नीक दूरी समाप्त कायल जायत।