सुपौल : जता कैको बरख सँ नहि पहुंचल विकास, ओता फटा-फट भ' रहल अछि काज

सुपौल। 01 जनवरी। बिहारक मुखिया नीतीश कुमार आगामी 5 जनवरी क' सात निश्चय योजना केर समीक्षा यात्राक दौरान सुपौलक महादलित बस्ती पहुंचता। जता सुपौल जिलाक राघोपुर प्रखंड स्थित वार्ड नंबर 4 मे सात-निश्चय योजना केर तहत गली-गली, नल-जल सहित विभिन्न सात योजना सभ पर चैल रहल कामकाजक समीक्षा करता।

मुख्यमंत्री केर आगमन ल'के जिला प्रशासन द्वारा युद्ध स्तर पर तैयारी कायल जे रहल अछि। जिलाक आलाधिकारी एहि महादलित बस्ती केर  चक्कर लगा लगा रहल छथि आओर महादलित बस्ती क' चमकेबा मे लागल छथि।

अपने क' बता दी कि किछु दिन पहिने धरी एहिठामक लोग सड़क नहि देखना छल, आब चकाचक सड़क बनाओल जे रहल अछि। स्वच्छ पेयजलापूर्ति लेल जलमीनार, नलक लेल पाइपलाइन, जैविक खेतीक लेल  वर्मी कम्पोस्ट यूनिट, पशु सेड सहित शौचालय केर युद्ध स्तर पर निर्माण कराओल जे रहल अछि। 

महादलित बस्ती के लोग सभ कहलनि कि पहिने एहि गाम क' देखनिहार कियो नहि छल,  नहिये कियो अधिकारी गरीब सभक सुध लेबाक लेल आबैत छल। मुदा एहि वार्ड मे नीतीश कुमार केर अयबाक सूचना केँ बाद सँ दिन-राति अधिकारी सभक जमावड़ा लागल अछि। ओतहि, नीतीश कुमार केर आगमन सँ महादलित बस्तीक लोग अपना क' गरीब, रहबाक लेल घर नहि, भोजन लेल अनाजक मोहताज बतबैत सरकार सँ उम्मीद लगेना बैसल अछि।