मधुबनी : खेल भवन सह व्यायामशाला निर्माण हेतु 6 करोड़ 61 लाख टाकाक राशि क' भेटल स्वीकृत

मधुबनी। 05 जनवरी। कला, संस्कृति एवं युवा विभाग, पटना द्वारा मुख्यमंत्री खेल विकास योजनाक अंतर्गत मधुबनी जिला मे सूरज नारायण सिंह देवनारायण गुड़मैता उच्च विद्यालय सह वाट्सन इंटर महाविद्यालय परिसर मे अवस्थित आॅडिटोरियम केँ उत्तर पूर्व खाली भूखंड पर खेल भवन सह व्यायामशाला निर्माण हेतु बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेड, पटना द्वारा तकनीकी रूप सँ अनुमोदित राशि 6 करोड़ 61 लाख टाका क' प्राक्कलन केर प्रशासनिक स्वीकृति द' देल गेल अछि।