सहरसा : शुरुआतक बाट जोहैत पेपर मिलक मशीन मे लागि रहल अछि जंग

सहरसा। 05 जनवरी। कैको बरख सँ बंद पड़ल बैजनाथपुर पेपर मिलक मामला फेर सँ गरमाबे लागल अछि। पेपर मिल क' चालू करबे आओर एहि दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक ध्यान दिएबाक मकसद सँ स्थानीय लोग सभ पेपर मिल परिसर मे हवन केलनि। ओता उपस्थित लोग सभ एहि मिल क' चालू करेबाक लेल आंदोलन केर चेतावनी सेहो देलनि।


बैजनाथपुर पेपर मिल क' चालू करबाक मांग एक बेर फेर जोर पकैड़ रहल अछि। कैको बरख सँ शुरुआतक बाट जोहैत ई पेपर मिल मे लाखो टाकाक  मशीन लगाओल गेल आओर जल्दे शुरु होयबाक दावा सेहो कायल गेल। आब मशीन सभमें जंग लागब शुरु भ' गेल अछि मुदा ऐहिक शुरुआत एखन धरी नहि भेल अछि।

पेपर मिल चालू होयबाक आस ल'क' दर्जनो लोग कैल्हि गुरु दिन मिल परिसर मे हवन केर आयोजन केलनि। एहि मौका पर मौजूद लोग सभ बतौलनि कि यदि ई मिल चालू भ' जायत तेँ हजारो लोग सभकेँ रोजगार भेट सकत। 

गौरतलब अछि कि बैजनाथपुर पेपर मिल बरख 1974 में बनीकेँ तैयार भेल छल। 50 एकड़ मे पसरल एहि पेपर मिल केँ बनला सँ पूरा इलाका मे ख़ुशी व्याप्त छल। बेरोजगार सभकेँ रोजगारक साथ इलाकाक विकास केर  एक आस जागल छल। मुदा करीब 44 बरख बितलाक बादो ई पेपर मिल एखनहुँ शुरुआतक बाट जोहि रहल अछि। 

एहि इलाकाक कैको नेता बिहार सरकार मे कैको बड़का पद पर काज क' चुकल छथि। ऐहिक बावजूद कियो एहि पेपर मिल क' चालू करबाक  इच्छाशक्ति नहि देखौलनि। एहि इलाकाक लोग सभ समय-समय पर जरुर धरना, प्रदर्शन, रोड जाम करि सरकारक ध्यान एहि दिस केंद्रित करबाक प्रयास करैत छथि।

बहरहाल उद्योगविहीन कोसीक एहि इलाका मे एक पेपर मिल छबो करे तेँ ओ अप्पन अंतिम गैन रहल अछि। लोग निराश आओर आक्रोशित अछि। कोसीक ई इलाका बाढ़ि, सुखाड़, गरीबी, बेरोजगारी एवं पलायन केर दंश झेल रहल अछि आओर एहि सभ समस्या सँ निजात दिएबाक लेल एहिठाम रोजगार उपलब्ध करायब बहुत जरुरी अछि।