तीन तलाक बिल मे कांग्रेस रोड़ा अटकेबाक जोगार मे अछि

नई दिल्ली। 05 जनवरी। तीन तलाक बिल ल'क' सत्ता पक्ष व विपक्षक टकरार ख़त्म होयबाक नाम नहि ल' रहल अछि। एक दिस बीजेपी एहि बिलक माध्यम सँ मुस्लिम महिला सभकेँ आकर्षित करबाक प्रयास मे अछि तेँ दोसर दिस विपक्षक पार्टी सभ एहिमें संशोधन केर जरिए रोड़ा अटकेबाक जोगार मे अछि।

उल्लेखनीय अछि कि तीन तलाक बिल लोकसभा मे सात घंटाक बहस केँ बाद पास भ' चुकल अछि। सरकार लग लोकसभा मे पूर्ण बहुमत अछि ऐहिक लेल लोकसभा मे बिल पास भ' गेल अछि मुदा, राज्यसभा मे ऐहिकेँ   पास करेबाक लेल सरकार क' मशक्कत करे पैड़ रहल अछि। 

तीन तलाक बिल ल'क' सभसँ बेसी रोड़ा कांग्रेस पार्टी अटका रहल अछि। कांग्रेस परेशान अछि कि पार्टीक पारम्परिक वोट बैंक पार्टीक हाथ सँ नहि निकैल जाए। ऐहिक लेल कांग्रेस तीन तलाक बिल क' टारबाक प्रयास मे अछि। राज्यसभा मे सरकार क' मत नहि अछि ऐहिक लेल मानल जे रहल अछि कि तीन तलाक बिल सलेक्ट कमेटी लग विचारक लेल भेजल जे सकैत अछि।