भागलपुर जिलाक घोघा तहसील केँ पक्कीसराय गामक रहिवासी पवन गोस्वामी के पत्नी प्रियंका गोस्वामी अप्पन पति क' धोखा दैत अप्पन दियर साजन गोस्वामी सँ प्रेम करे लागली। भौजी प्रियंका दियर साजन संग सात-जन्म संग जियब आ मरबाक सपथ खेली। जाहिक बाद दुनू बिआह करबाक ऐलान करि घरक लोग क'चौंका देलनि।
घरक लोग सभ दुनू केँ खूब सम्झेलनि मुदा दुनू पर कोनो असर नहि पड़ल आओर दुनू बिआह करबाक जिद धेना रहल। आखिरकार प्रियंका केँ पति अप्पन पत्नी आओर छोटे भाई केँ खुशीक आगू घुटना टेक देलनि। बड़का भाई केर इजाजतक बाद परिवारक लोग सभ दुनू केँ बिआह करबाक फैसला केलनि।
एहि अजीबोगरीब घटना पर सवाल पुछला पर पवन गोस्वामी कहलनि कि जखन हमर पत्नी प्रियंका गोस्वामी हमर छोट भाई साजन गोस्वामी संग रहे चाहैत छथि तेँ हम अप्पन भाई आओर पत्नी केँ खुशीक लेल रोड़ा बनब मुनासिब नहि बुझलहुँ।
घोघा केँ सत्यकुटीर आश्रम मे गुरु दिन सगा संबंधी आओर परिवारक लोग सभक मौजूदगी मे दियर आओर भौजी पति - पत्नी बैन गेलथि। पूर्व पति पवन गोस्वामी घूंघट द' वर-वधू केँ खुशहाल जिनगीक कामना केलनि आओर आशीर्वाद देलनि। बिआह केँ सभ रस्म पूरा करबाक बाद सत्यकुटीर आश्रम के महंत वर पक्ष आओर वधू पक्ष के नाम सँ बिआह केर प्रमाण पत्र सौंपलनि।
अप्पन करेज पर पाथर ताखि पवन गोस्वामी अप्पन पत्नी भाई क' सौंप देलनि। बिआह केँ रस्म पूरा होय धरी हुनका मुंह पर विवशता केर खुशीक भाव छल। मुदा फेर हुनका अप्पन पत्नी केर धोखा नजैर एलनि, जाहिक बाद ओ अप्पन घर, सगा-संबंधी सभकेँ छोएड़ कतो चल गेला। हुनकर स्थिति देखैत घरक लोग सेहो हुनका रोकब मुनासिब नहि बुझलनि।
बिआहक बाद दुल्हन केर विदाई होयत अछि, मुदा एहिठाम पूर्व पति पवन गोस्वामी क' हुनकर माता -पिता, सगा - संबंधी आओर बिआह मे आयल समाजक लोग सभ नोर भरल आँखि सँ विदा केलनि।