मिथिलाक संस्कृति आओर विरासत केर झलक देखत दिल्ली, होयत भब्य आयोजन, राष्ट्रपति कोविंद सेहो लेता भाग

दिल्ली। 16 दिसम्बर।[मिहिर कुमार झा 'बेला'] अखिल भारतीय मिथिला संघ केँ स्वर्ण जयंती समारोह केर सफल आयोजनक लेल कैल्हि शुक्र दिन भारतीय जनता पार्टी केँ वरीय नेता एवं राजयसभा सांसद सह स्वर्ण जयंती समारोह केर कार्यक्रम स्वागत अध्यक्ष श्री प्रभात झा केर सरकारी आवास पर अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष श्री विजयचन्द्र झा आओर सभ अधिकारी केर उपस्थिति मे प्रेस वार्ता कायल गेल।  


24 दिसम्बर क' तालकटोरा स्टेडियम मे आयोजित होमै बला अखिल भारतीय मिथिला संघ केँ स्वर्ण जयंती समारोह मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, गृह मंत्री राजनाथ सिंह, लोकसभा अध्य्क्ष सुमित्रा महाजन के संगे संग कैको लोकसभा सदस्य आओर देश केँ जानल - मानल हस्ती, फ़िल्मी सितारा सभ शिरकत करथिन। 

अखिल भारतीय मिथिला संघ एक बयान मे कहने अछि कि राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद एहि कार्यक्रम मे अप्पन उपस्थिति लेल आश्वासन द' चुकल छथि। एहि कार्यक्रम मे पुरी केँ शंकराचार्य निश्चलानंद सरस्वती आओर समाजक विभिन्न वर्गक गणमान्य लोकनि शिरकत करथिन। 

कैल्हि केँ प्रेस वार्ता मे मिथिलांचलक लोकप्रिय कांग्रेस नेता स्वर्ण जयंती समारोह के कर्मठ सिपाही श्री तपन झा सेहो प्रेस वार्ता मे समस्त  मिथिलावासी सँ अपील करैत कहलनि कि समारोह केर उद्देश्य नेपालक सीमा सँ सटल बिहार केर उत्तरी हिस्साक मिथिला क्षेत्रक इतिहास, समृद्ध संस्कृति आओर विरासत केर प्रदर्शन करब अछि। जाहि मे सभक सहभागिता केर जरुरत अछि।