मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ स्वागत मे मानव श्रृंखला बनाओल गेल, नहि पहुंचला नीतीश
दरभंगा। 16 दिसम्बर। नवटोल चौक सँ भवानी पुर चौबट्टी धरी बाल कल्याण पुब्लिक स्कूल केँ बच्चा सभक संग समस्त ग्रामीण मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर स्वागत मे दहेज प्रथा आओर बाल बिआह केर स्लोगन हांथ मे ल' मानव श्रृंखला बनौलनि आओर हुनकर स्वागत मे फूल माला पाग ल'के हुनकर बाट जोहलनि।
एहि सभक बावजूद मख्यमंत्री महोदय नहि ओहिठाम नहि पहुंचला। स्कूली बच्चा सभ बहुत उत्साह मे छल की आय अप्पन राज्य के मुख्यमंत्री जी केर झलक देखबाक लेल भेटत, सभ बच्चा बहुत समय धरी बाट जोहबाक बाद निराश भ' वापस चल गेल।