विक्रमादित्य वेलफेयर एडूकेशनल ट्रस्ट केर तत्वावधान मे आयोजित एहि समारोह मे डॉ'जनक क' पाग, दोपटा, सम्मान पत्र केर संगे संग 21000 टाका नगद राशि प्रदान कायल गेलनि। सम्मान सँ अविभूत होयत जनकजी कहलनि कि प्रवासी मैथिली भाषी सभक द्वारा अप्पन मातृभाषा केर संवर्धनक लेल जतेक काज कायल जे रहल अछि ई मिथिला मे रहनिहार सभक लेल अनुकरणीय अछि।
एहि विद्यापति स्मृति पर्व केर मुख्य विशेषता ई छल कि एहिमें गायन वादन केर इंतजाम नहि कायल गेल छल। अगबे भव्य कवि सम्मेलन केर आयोजन कायल गेल छल, जाहिक आनंद दर्शक सभ मनोयोग पूर्वक उठौलनि। कवि सम्मेलन मे मूल रुप सँ मैथिली आओर हिंदी केँ हास्य व्यंग्यक कवी सभकेँ आमंत्रित कायल गेल छल जिनका सभकेँ सुनैत दर्शक सभ लोट पोट होयत रहल।
कृष्णकुमार झा 'अन्वेषक' केर संचालन मे भेल एहि कवि सम्मेलन मे मैथिलीक प्रख्यात गीतकार आओर भारत निर्वाचन आयोग केर आईकॉन मणिकांत झा सामागीत “गाम के अधिकारी तोहें बरका भैया यौ भेलै केहन समइया यौ भइया हमरो एकटा लैपटॉप कीनि दीय इंटरनेट ऑपरेट करबै यौ“ प्रस्तुत करी दर्शक सभकेँ थपरी बजेबाक लेल मजबूर क' देलनि। एहि कवि सम्मेलन मे मधुबनी सँ आयल सदरे आलम गौहर आओर कमलेश प्रेमेंद्र, वाराणसी सँ महेश दूवे, मध्य प्रदेश सँ महेन्द्र मिश्र, मूंबई केँ तबस्सुम राणा, डॉ. प्रतिभा झा, स्वेता झा, सहित कैको कवी लोकनि अप्पन रचना पढ़लनि।
डॉ. यू एस झा केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे आकाशवाणी पूर्णियाँ के केंद्राध्यक्ष डॉ. प्रभात नारायण झा विशिष्ट अतिथिक रुप मे उपस्थित छाला। पत्रकार मुनीन्द्र झा मुख्य वक्ता केर रुप मे विद्यापतिक व्यक्तित्व एवं कृतित्व पर विस्तार सँ चर्चा केलनि। आगत अतिथि सभक स्वागत आयोजन समिति केर अध्यक्ष अशोक सिन्हा पाग दोपटा आओर पुष्पगुच्छ सँ केलनि। कार्यक्रम मे स्थानीय विधायक आलोक भालथर, विनोद सावलकर सहित कैको नगर सेवक व गणमान्य लोकनि उपस्थित छला।