कश्मीर मे भेल बर्फबारी सँ बिहार मे कपकपी बढ़ल, पारा आओर गिरबाक अनुमान लगाओल जे रहल अछि

पटना। 29 दिसम्बर। कश्मीर आओर हिमाचल मे भ' रहल बर्फबारी केँ असर बिहारक मौसम पर सेहो पड़ल अछि। पछिला दू दिन सँ ठंड बढ़ला आओर ओसक कारण जनजीवन अस्तव्यस्त भ' गेल अछि। ओसक मारी सँ ट्रेन आ विमान सभक आवाजाही सेहो बेपटरी भ' गेल अछि। कैल्हि पटना एयरपोर्ट पर पहिल विमान दुपहर 2:11 बजे उतरल। जखनकि हैदराबाद सँ आबै बला स्पाइस जेट केँ एहि विमानक पटना पहुँचबाक समय भोर 10:15 बजे अछि। एहिसँ पहिने कम विजिबिलिटी केर कारण पांच विमान क' रांची व वाराणसी डायवर्ट क' देल गेल। एम्हर, पटना केँ न्यूनतम पारा कैल्हि गुरु दिन तीन डिग्री लुढ़की क' 8.9 डिग्री से. दर्ज कायल गेल। मौसमविद सभक अनुसार राजधानी समेत पूरा बिहारक न्यूनतम पारा एखन आओर नीचा गिरत।