सुपौल : रफ्तार बनल जानलेवा, सड़क हादसा मे एक केर मौत, दू गोटा गंभीर रुपे घायल

सुपौल। 29 दिसम्बर। एनएच 57 पर एक तेज रफ्तार ट्रक आओर  फॉर्चूनर कारक बीच सीधी टक्कर होयबाक खबैर अछि। एहि टक्कर केर चलते एक साइकिल सवारक मौत मौके पर भ' गेल जखनकि फॉर्चूनर सवार दू लोग गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। घायल सभमे एक बिहारक उर्जा मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादवक रिश्तेदार बताओल जे रहल अछि।

सड़क हादस के ई मामला जिलाक निर्मली थाना इलाका के मझारी चौक लग भेल। बताओल जे रहल अछि कि एक तेज रफ्तार ट्रक आओर फॉर्चूनर कारक बीच सीधी टक्कर भ' गेल। एहि दौरान सड़क पार क' रहल  एक साइकिल सवार हादसा केर चपेट मे आएब गेल। एहि जोरदार टक्कर मे साइकिल सवारक मौके पर मौत भ' गेल। ओतहि कार मे बैसल दू गोटा गंभीर रुपे घायल भ' गेलथि। जिनका सभकेँ नीक ईलाजक लेल पटनाक निजी नर्सिंग होम मे भर्ती कराओल गेल अछि। 

मृतक साइकिल सवार केर पहिचान निर्मली थाना केँ दिघीया गाम निवासी  बेचन राम केर तौर पर भेल अछि। मृतक बेचन राम निर्मली हाई स्कूल मे बतौर आदेशपाल केर पद पर काज करैत रहथिन। एहि हादसा मे हरयरिका मचाई सँ लादल ट्रक आओर कार दुनू बुरी तरहे क्षतिग्रस्त भ' गेल।