कांग्रेस विधायिका भावना झा केँ विरोध केला पर 'मिथिला स्टुडेंट यूनियन (MSU)' केँ दू सेनानी गिरफ्तार

मधुबनी। 14 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] कुलाही प्रखंडक बेलाही गाम स्थित एक मैदान पर करीब चारि मास पहिने सँ निर्माणाधीन हाईस्कूल भवन केँ शिलान्यास करे पहुँचल कांग्रेस विधायिका भावना झा क' मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक विरोध केँ सामना करे परलनि। ऐही दौरान विधायिका के कार्यकर्ता आओर मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक बीच खूब धक्का मुक्की भेल। करीब 2 घंटा धरी मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक विरोध प्रदर्शन जारी रहल। बाद मे बहुत मसक्कत केँ बाद विधायिका भावना झा भवन केर शिलान्यास केली। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक कैल्हि बुध दिन करीब 4:30 बजे सांझ मे 1‌.20 लाख केर लागत सँ निर्माणाधीन भवन जाहिक निर्माण काज छत ढलाई घरी पहुंच गेल अछि आ छतक स्टियरिंग चैल रहल अछि, ऐही भवन केँ शिलान्यास करबाक लेल भावना झा पहुचल छली। जाहिक मिथिला स्टुडेंट युनियन केर कार्यकर्ता सभ विरोध केलनि। मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभ विधायिका केँ कार्यशैली सँ नाराज छल। गौरतलब अछि कि भवन निर्माणक कामकाज चारि माह पहिने शुरू भ' चुकल छल आओर मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभ पहिने बेलाही - लोहा पथ क' बनेबाक मांग केना छल। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक भावना झा कुलाही थाना (मधुबनी) मे मिथिला स्टुडेंट यूनियन के कार्यकर्ता सभ पर केस दर्ज करेना छथि। भावना झा केर कहब अछि कि किछु लोग दारू पीब नशा केर हालत मे हमरा संग माएरपीट केलनि आओर हमरा जान सँ मारबाक प्रयास केलनि। मुदा हमर अंगरक्षक आओर समर्थक केर मदैद सँ हमर जान बचल। उपद्रवी सभ शिलापट्ट क' उखाएर फेकलक जे एक दंडनीय अपराध अछि। भावना झा द्वारा दर्ज कराओल गेल केस मे मुख्य रुपे सुमित कुमार, श्यामुद्दीन, वासुकि झा, दीपक राम, अदिल अहमद आओर किछु अज्ञात नाम नामजद कायल गेल अछि। 

ओतहि मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक कहब अछि कि कांग्रेस विधायिका भावना झा द्वारा लगाओल गेल सभ आरोप बेबुनियाद आओर मनगढ़ अछि।  कार्यकर्ता सभ अप्पन किछु मांग लेल हुनका ज्ञापन देबा पहुँचल छल बस एतबे मे ओ तमसा गेली आ ओता सँ जैय लागली। मिथिला स्टुडेंट युनियन के दू कार्यकर्ता क' थाना मे बंद गेल अछि आओर पुलीस हुनका पर चार्जर्स लगा रहल अछि।


एम्हर खबैर भेटल अछि कि मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा सेहो विधायिका भावना झा आओर हुनकर कार्यकर्ता सभक खिलाफ F.I.R दर्ज कराओल गेल अछि।